Posts

Showing posts with the label जानकी नवमी

जानकी नवमी (1/5/2020)

Image
सीता नवमी || 🌷🙏🏻 संकलन - #हम_सब_मिथिलावासी ----------------------------------------------  सीता नवमी और जानकी नवमी जे सनातन पंचांग म मैथली दिवस क रुप म सेहो उल्लेखीत अई।ई हिंदू तिथि वैशाख शुक्ल पक्ष नवमी तिथि क वैष्णव संप्रदाय केर भक्त और समस्त मिथिलावासी माता सीता केर निमित्त व्रत राखैत अछि आओर पूजन करैत अछि! धार्मिक मान्यता और धर्म ग्रंथ केर अनुसार आईये क दिन देवी सीता प्रगट भेल छली। अई पावन पर्व पर जे व्रत राखैत अछि आ भगवान रामचन्द्र जी सहित माता सीता केर अपन शक्ति के अनुसार भक्तिभाव पूर्वक विधि-विधान से सोत्साह पूजन वन्दन करैत अछि, हुनका पृथ्वी दान के फल, महाषोडश दान के फल, अखिलतीर्थ भ्रमण के फल आओर सर्वभूत दया के फल स्वतः ही प्राप्त भय जाईत अछि।  वाल्मीकि रामायण' केर अनुसार श्रीराम क जन्म क सात वर्ष, एक मास बाद वैशाख मास के शुक्ल पक्ष केर नवमी क जनक जी द्वारा खेत म हल क नोक (सीत) क स्पर्श सॅ एक कन्या मिलल, जिनका ओ सीता नाम देलन। जनक दुलारी भेला सॅ 'जानकी', मिथिलावासी भेला  सॅ 'मिथिलेश' कुमारी नाम स सेहो जानल जाईत अछी। उपनिषद, वैदिक वाङ्मय सब म हिनक अलौकिकता ...