करोना ईफ्केट

आजु क दिन भेल हमर खराब
बेरुक पहर जखन काज हं भेलौ फराक
जखने  पहुचलौ घर 
कनीया चारु करैय लागली आवभगत
हम बुझलौं इ सब आइ लगेती हमर बाट 
हम शांत चिंत भ पुछलौ आइ कोनो विशेष प्रयोजन
सब मिल कहली आइ किछु करू विशेष आयोजन
त हमहूँ हुलसैत बजलौ 
हं हौउ तखन आहां सब मिल करु तैयारी 
ता धरि.हम देख आबि बारी -झारी
सब मिल कहली हे से नै होयत 
आइ हम सब मिल.केलौउ य फैसला
से जौं नै मानब त लिखल अभगला
आइ घर काज क करू अही तैयारी
बरतन बासन घर दुहाईर भोजन भात और तरकारी
कहैत आब छाती फटैय 
अपन हाल देख किछू नै फुरा य
देने छली जे सब धमकी 
जौं नै मानब त देखा देब चमकी
बरतन बासन निपटाय
बरकी देलन चुल्हा धराय
कहली भानस भात करे करु तैयारी
तखने भेटत पंचगव्य केर थारी
सब किछु गेल जखन निपटाय 
हाल देख अपन गेल कनाय
ओ त शुक्र कही जे छोटकी कें
ओ अपन स्नेह सं देली सबटा बिसराय

Comments

Popular posts from this blog

अयोध्या का इतिहास और वर्तमान भाग --1

अयोध्या का इतिहास भाग --2

सीमा पर देश की पर रक्षा करते हुए शहीद हुआ जवान, बिहार रेजिमेंट के इस अफसर से थर थर कांपती थी चीनी सेना